#साँझक_चौपाडि_पर_बिशेष_भेटघाट_कार्यक्रम_समापन #


रामअधिन सम्भव -अपन मिथिला/साउन ,२८ /"मातृभाषाक जगेर्णा हमरासभहक प्रेरणा" मूल नाराके  संग बिगत २३ माससँ निरन्तर रुपमे आयोजना होति  आबि रहल मैथिली काव्य-सन्ध्या अन्तर्गतके कार्यक्रम #साँझक_चौपाड़ि_पर एहिबेर नेपालसँ आएल विशेष अतिथि I तथा रंगकर्मी श्री कमल मण्डल जी, तहिना भारत दिससँ आएल मैथिलप्रेमी श्री अजित झा जीक संग विशेष भेटघाट संग काव्य बैसार काल्हुँ मिति 2017/ 08/ 11 तारीख शुक्र दिन एसियन टाँउन सनैयाँ  प्लाजामे बहुत उत्साहपुर्ण रुपसँ समापन भेल ।


धरफरमे आयोजना भेल एहि  काव्य बैसार तथा अतिथि भेटघाट कार्यक्रममे अतिथी अजित झा जी बहुत तरहक अपन मैथिली अनुभव सभ सुनौने छलाह आ संगे ओ एत  दुर देशमे माटिपानि पर समर्पित  मैथिली भाषाक' सर्जक सभके भेट अधिक खुशी भेल भाव प्रकट कैने छलाह । तेहने कनीक  कार्य व्यस्तताक कारणे अबेरसँ पुगल रंगकर्मी तथा संगितकार कमल  मणडल जी सेहो कतारक' जमीन पर मैथिली कवि तथा सर्जक सभ संग  भेट बहुत प्रसन्न भेल छलाह ।

चौपाडि पर कवि अब्दुर रज्जाक, कवि बेचन महतो, कवि बिन्देश्वर ठाकुर,राम अधिन सम्भव, राम सोगारथ यादव, दिनेश कुमार राम, बिरेन्द्र कुमार सिंह,पंकज यादव, बिश्व बन्धु जी, लाले महतो, अजित झा लगायतके सर्जक सभ अपन कविता,कता, गीत तथा गजल सभ परोसने छएल। 
ज'त समाज सेवी रबिन्द्र उदासी , हेल्प मधेसी सेवक प्रदीप ठाकुर , इन्जिनियर तथा हेल्प मधेसीक सेवक  वीरेन्द्र कुमार साह,सिरहा सेवा समाज तथा धानुक समाजके अध्यक्ष रामकुमार मण्डल,NCC कतारके केन्द्रीय सदस्य रामेश्वर मण्डल, समजसेवी कामेश्वर साह, हेल्प मधेशीक सेवक राम पुकार ठाकुर, देवेन्द्र ठाकुर लगायतके स्रोतासबहक सेहो उपस्थिति छल। काव्य बैसार पश्चात समाजसेवी रामकुमार मण्डल जी द्वारा धानुक आ लगायत समुच्चा आदिवासी केर पहिचान समेटल पोथी सेहो प्रदान केने छल।

निर्धारित समय पर सुरु भेल कार्यक्रम अबेर साँझ 7:30 बजे धरि  चलल छेल। अबेर धरी चलल बैसारमे राम अधिन सम्भव जी समोसा, पकौडा संग पेप्सी आ पानिके जोगाड कैने छल। कतारक विभिन्न दुर सहरसँ अतेक  गर्मीके  प्रवाह नहि करि  बैसारमे सहभागी भ' सफल करोनिहार सभ मैथिली प्रेमी धन्यवादके पात्र छैथ।  


#रामअधिन_सम्भव
कल्याणपुर न.पा. डडौल-४
सिरहा , नेपाल
हाल: दोहा, कतार

:- एहि कार्यक्रम के विडियो अपन मिथिला पेज पर देख  सके छिय 

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top