राम रहीमकेँ समर्थक भड़कल, हरियाणा घटनामें ३० गोटे मृत्यु २५० घायल  

अपन मिथिला /भदौ,९ । इन्डियाके एक अदालत डेरा सच्चा सौदा प्रमुख गुरमीत राम रहीमके बलात्कारके मुद्दामें दोषी ठहर भेल खबैर से। भड़कल हिंसामें ३० गोटे के मृत्यु भेल अछि।
केन्द्रीय गृह मन्त्रालयके अनुसार हरियाणामें ३० गोटे मृत्यु भेल । २५० से बेसी गोटे घायल भेल अछि।
६०गोटे पुलिस सेहो घयाल के खबैर अछि ।

पञ्जाब आ हरियाणाके बहुत  स्थानमें राम रहीमके समर्थक आ प्रहरीबीच झडप भेल अछि ।

हरियाणाम पञ्चुककुला आ पञ्जाबके फिरोजपुर, धटिडा आ मानसामें कर्फ्यू लगौल गेल अछि । फतेहबाद, जयतो आ फरिदकोट के रेड अलर्के राखने अछि ।

हिंसाके घटना बढल २६ अगष्टमें पञ्जाबके बहुत स्कुल कलेज बन्द राख कहने अछि । राजस्थानके गंगानगरमें इन्टरनेट सेवा बन्द केने अछि ।

राष्ट्रपति रामनाथ कोविन्द जारी हिंसाके निन्दा केने अछि आ शान्ति कायम करैके अपील सेहो केने अछि ।

हरियाणा पुलिस मात्र २ हजार ५०० गोटे के पकड़ने अछि न्यूज सभ बतारहल अछि । ओत स्थितिके सामान्य राख लेल पुलिस सेनासे सहयोग मागने अछि ।

की अछि विवाद ?

मैंई २००२ में डेरा सच्चा सौदा प्रमुखऊपर बलात्कार के  आरोप लागाबैत एक साध्वी तत्काल प्रधानमन्त्री अटल बिहारी वाजपेयीके चिठी लिखने छेल, जय से एकप्रति पञ्जाब आ हरियाणा उच्च अदालतके मुख्य न्यायाधीश लS पूगल ।

उच्च अदालत २४ सेप्टेम्बर २००२ मे एहि बारेमे अनुसन्धान करै के आदेश देने छेल । शुक्रदिन पञ्चकुलाके सीबीआई अदालतसे राम रहीमलाई दोषी ठहर केलक ।

अदालत २८ अगष्टमें ओकरा सजाय सुनाउबै के भारतीय सञ्चार माध्यमसभ जानकारी देने छेल । ओकरा जेल में राखके लेल सेनाके नियन्त्रणमा राख फैसला भेल छेल। गुरमीत राम रहीमके सेनाको वेस्टर्न कमाण्ड मुख्यालयमें राखने अछि ।

राम रहीम दोषी भके कहित आ ई खबैर सार्वजनिक भेल की पञ्जाब आ हरियाणामें हिंसा भड़कल अछि ।





0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top