प्रथम नेपाल आइडलकेँ ग्रण्ड फिनाले दोहा क़तार में 



अशोक कुमार सहनी ,अपन मिथिला / भादौ १२ दोहा/   एपि वान टेलिभिजनसँ प्रसारण भइरहल रियालिटी शो नेपाल आइडलके ग्रण्ड फिनाले कतारके सनैयास्थित एसियन टाउनके एम्पिथियटरमे आबैवाल २२ सेप्टेम्बरके भरहल अछि । 

ओनेक्स वान इन्टरनेशनल क्यानडा आ एभरेष्ट नेपाल युुथ एसोसियसन कतारके संयुुक्त आयोजनामें हेत। ग्रण्ड फिनालेमें नेपाल आइडलके टप १२ तकके प्रतियोगी उपस्थित हेत। 

ग्राण्ड फिनाले के कार्यक्के तेरिया फौजामगर, केदार घिमिरे, सन्दिप क्षेत्री, हेमन्त रानाके साथ बरिष्ठ संगितकार शक्ति बल्लभ लगायतसभके उपस्थिति रहत एभरेष्ट नेपाल युुथ एसोसियसनके अध्यक्ष उत्तम गुुरुङ दोहामें आयोजित पत्रकार सम्मेलनमें जानकारी देने छैथ । 

ग्रान्ड फिनालेके लेल अनुुमान १४ लाख ८० हजार रियाल नेपाली कहित करिब ४ करोड २० लाख रुपया खर्च हेत । एहिमे १६ हजार ५ सौ दर्शक क्षमताके कार्यक्रम हॉल, स्टेज सेटअप, हवाइ टिकट, भिषा, होटल आ बस खर्च सभकुछ अछि । ग्रान्ड फिनालेके लेल जज, प्रतियोगी, कलाकार आ प्राबिधिक कके ८५ गोटे नेपालसे आरहल आयोजक जानकारी देने छैथ  । 

नेपाल आइडलके प्रतिष्पर्धामव अब चार गोटे मात्रै रहल अछि । प्रताप दास, बुद्ध लामा, निशान भट्टराई आ सागर आले मात्रै प्रतिष्पर्धीके अछि । मुदा, एसएमएस भोटिङके आधारमें सुरज थापा, उल्सन श्रेष्ठ, सुजाता पाण्डे लगायतसभके उत्कृष्ट प्रतियोगीसभ  बाहर भचुकल अछि । 


0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top