हेल्प मधेशी च्याप्टर कतारक आयोजनमे मिथिला स्टूडेंट यूनियन नेपालद्वारा बाढि पिडित के राहत वितरण 




अपन मिथिला भादौ ,१२ / लहान ,सिरहा-: हेल्प मधेशी च्याप्टर कतारक आयोजनमे आई मिथिला स्टूडेंट यूनियन नेपालद्वारा सिराहक बिभिन्न जगहके ६० घर बाढि पिडित के राहत वितरण केलगेल ।
सिराहक मिर्चैया न.पा.-५ में ४०घर परिवारके राहत स्वरूप मच्छरदानी, चाउर,दाइल,साबुन,आलू,मसाला,तेल, नून, त्रिपाल आदि वितरण केलगेल ।
जाहिमे स्थानीय पत्रकार, बुद्धिजीवि, सामाजिक अगुवा, हेल्प मधेशी च्यापटर कतारके प्रतिनिधि सभक उपस्थितिमे मिथिला स्टुडेण्ट युनियन नेपालक सदस्य लाेकनिकद्वारा वितरण कयलगेल ।
तहिना चोहर्वा स्थित खोरिया टोल आ लाभका टोलमे १५घर परिवार के सेहो राहत वितरण केलगेल। किछु छवी सब....










0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top