हेल्प मधेसी कतार च्याप्टरके सहयोगमे थर्डएलांन्स द्वारा विभिन्न जिल्लामे स्वास्थ शिवीर आयोजना



अपन मिथिला ,भादौ,१५/हेल्प मधेसी कतार च्याप्टर द्वारा पठाओल गेल ने.रु. एक लाख रुपैयाँके राहत सहयोगसँ थर्ड एलांन्सके आयोजनामे  मोरंग के कठरी तथा बलुबथान, सप्तरीके मधुवापुर , तेहने कैलाली के भजनी, सुनसरीके हरिपुर   तथा नवलपरासीके प्रतापपुरमे स्वास्थ शिविर तथा राहत वितरण सफलता पुर्वक समापन भेल आ  सहयोगके यात्रा जारी अछि। 
मोरंग कठरीमे आयोजना कएल गेल शिविरसँ 150 पीडित लाभान्वित भेल छेल ज त 27,750 रुपैयाँके दबाई तथा अन्य राहत सामाग्रीप्रदान भेल छएल । तेहने मोरंग बलुबथानके 50 घर परिवारमे 27,297 रुपैयाँके राहत सामग्री बाटल गेल छेल। तेहन 25,000 रुपैयाँके खर्चमे सप्तरीके मधुवापुरमे आयोजना कएल स्वास्थ शिविरसँ 125 परिवारके स्वास्थ परिक्षण तथा औसधि बितरण भेल छेल। एहने क' कैलालीके भजनीमे 27 गर्भवती तथा लडकोरीके महिलाके 12,250 रुपैयाके  पच्छरदानी संग फलफूल वितरण कएल गेल अछि । एहने क'  नवलपरासीके प्रतापपुरके 50 बाढी पीडित परिवारमे कम्बल , मच्छरदानी, चाउर, दाइल, नुन, तेल,संग सलाइ लगायत 15,000 रुपैयाँके राहत प्रदान कएल गेल। थर्ड  एलांन्स द्वारा सुनसरीके कोशी  ग्रामिण नगरपालिकामे     आयोजना कएल गेल स्वास्थ शिविरसँ 120 पीडित लाभान्वित भेल छेल ज'त' 18,500 रुपैयाँके सधारण दबाइ प्रदान कएल गेल छएल। एहने क' अखनु धरि थर्ड एलांइन्स विभिन्न जिल्लामे 1,18,797 रुपैयाँके राहत  सामाग्री प्रदान  तथा स्वास्थ शिविर आयोजना कैने अछि । जहिमे हेल्प मधेसी कतार च्याप्टरसँ 1 लाख 26 रुपैया सहयोग पठाओल गेल छेल आ बाँकी रकम थर्ड एलांइन्स अपने कोषसँ सहयोग कैने अछि। 

नेपालक' विभिन्न ठामक बाढि पीडितके राहत वितरण लेल सहयोग करनिहार हेल्प मधेसी कतार च्याप्टरके सम्पूर्ण सेवक तथा सदस्य  धन्यवादके पात्र अछि। संगे अशा अछि कि थर्ड एलांइन्सके साथ बनल रहत आ बाकी आउर जिल्ला सभमे सहयोग करत। 

नीचा देखि विभिन्न जिल्लामे कएल गेल स्वास्थ शिविर तथा राहत वितरणके किछ तस्बिर । 



धन्यवाद ।
हेल्प मधेसी परिवार 
कतार च्याप्टर सेवक

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top