बिहार  मे सेहो सक्रिय भेल चोटी कटबा गिरोह, चारि गोट महिलाक काटल गेल चोटी



अपन मिथिला /साउन २६ . मधुबनी - स्त्रीगण सभहक चोटी कटबाक मामला एखन देश भरि मे खूब चर्चा मे अछि. धीरे-धीरे एकर आतंक सगर देश मे पसरल जा रहल छैक. धरि सैकड़ों महिला एखन धरि एकर शिकार भ' चुकल छथि. आब एहि चोटी कटबाक आतंक स' मिथिला क्षेत्र सेहो वंचित नै रहल. बुध कें खजौली, झंझारपुर, बिस्फी व लदनियां स' चोटी कटबाक सूचना आएल. एहि घटनाक बाद स' क्षेत्रक लोक भयाक्रांत छथि. मधुबनी स' हमर संवाददाताक रिपोर्ट.


भेटल जानकारी अनुसार करमौली पंचायतक कर्पूर पाली गाम मे एकगोट महिलाक केश कटबाक मामला सामने अबितहिं क्षेत्र मे सनसनी मचि गेल. पीड़िता संजय यादवक पत्नी मूर्ति देवी (32) बेरू पहर अपन बच्चा सभहक संग घर मे सूतल छलीह कि अनायास ओकरा केश कटि जएबाक अनुभूति भेल. हालांकि ओहि समय पीड़िता लग कियो नै छल. अपन केश कटबाक घटना बाद पीड़िता जोर-जोर स' चिचियाइ लगलीह आ बेहोश भ' गेलीह. एहि घटनाक बाद परिजन द्वारा ओकरा झाड़-फूंक लेल डुमरियाही गाम स्थित मस्जिदक मौलाना लग ल' जाएल गेल. जकर बाद पीड़िता होश मे अएलीह. पीड़िता स्वयं सहित ओकर परिजन अचानक केश कटि जएबाक बात स्वीकारि रहल छथि. पीड़िता मूर्ति देवी जनोलनि जे हुनक 6 इंच धरि केश काटि लेल गेल अछि. सभ स' चकित कर' बला बात त' इ अछि जे ओहि बिछाओन ओ घर स' कतौ काटल केश बरामद नै भ' सकल अछि. एम्हर पीड़िताक पिता राम विलक्षषण यादव कें मानी त' इ कोनो प्रेतात्माक प्रकोप अछि.

जनतब दी जे एखन एहन घटनाक चर्च पूरा देश मे अछि. परञ्च एहि क्षेत्र मे ई पहिल घटना अछि. घटना बाद स' एक दिस जत' पीड़िताक घर पर लोकक भीड़ लागल अछि त' ओतहि दोसर दिस स्थानीय महिला मे सेहो आब भय जगजियार होमए लागल अछि.



बिस्फी मे कटल जुनैदक चोटी


मधुबनी जिलाक बिस्फी थाना क्षेत्र के नूरचक गाम स' सेहो चोटी कटबाक मामला प्रकाश मे आएल अछि. एहि खबरि के बाद स' क्षेत्र मे सनसनी पसरि गेल अछि. मामला बुधक सांझ के अछि जखन नूरचक के इस्लामपुर टोल निवासी मो. जुनैदक बेटी आजादी खातुन कें चोटी अचानक कटि गेल. चोटी कटला क' बाद स' पीड़िता बेहोश अछि. परिजनक सहयोग स' स्थानीय स्तर पर पीड़िताक इलाज करबाओल जा रहल अछि. समाचार प्रेषण तक लड़की होश मे नै आबि सकल अछि. लड़की कें होश मे अएला बादे घटनाक कारण उजागर भ' सकत. एहि घटनाक बाद स' इलाका मे अफरातफरी सन माहौल देखल जा रहल अछि.


झाड़ू लगा रहल छली वार्ड पार्षद, तखनहिं कटलनि चोटी


झंझारपुर अनुमंडल क्षेत्रक भैरव स्थान थानाक नरूआर गाम मे वार्ड 14 केर सदस्या व श्यामदेव मंडल केर 32 वर्षीय पत्नी कुसुमा देवी अपन आंगन मे झाड़ू लगा रहा छली. अही क्रम मे हुनकर चोटी कटि क' खसि पड़लनि. कुसुमा देवी हालति डरक ओजह स खराप भ' गेल. सूचना भेटलाक बाद समस्त ग्रामीणक भीड़ ओत' जुटि गेल. हुनकर करीब पांच इंच केश कटि गेल. घटनाक सूचना भैरव स्थान थाना कें द' देल गेल अछि. भैरवस्थानक थाना अध्यक्ष बतौलनि जे मामलाक छानबीन कएल जा रहल अछि. 


पढ़ि रहल छल बचिया, कटि गेल चोटी

लदनियां प्रखंडक सिधपा गाम मे रामबालक पासवान केर 14 वर्षीय बेटी अपन घर मे पढ़ि रहल छल. पढ़िते काल ओकर चोटी कटि गेलै. चोटी कटलाक बाद ओकर हालति बिगड़ि गेलै. घटनाक सूचना भेटिते ग्रामीणक भीड़ ओकर आंगन मे उमड़ि पड़ल. सूचना भेटलाक बाद थाना मनोज कुमार ओत पहुंचला. ओ भीड़ कें शांति केलनि आ मामलाक छानबीन करबाक आश्वासन देलनि.   



मिथिला मेलक अपील

एखन धरि घटल एहि प्रकारक घटना प्रथम दृष्टिएं कोनो ने कोनो रंजिश वा अंधविश्वास स' प्रेरित बुझना जाइत अछि. तें मिथिला मेल अपन समस्त सुधिजन पाठक स' अपील करैत अछि जे एहि संबंध मे पसारल जा रहल अफवाह पर ध्यान नै दी. बस सावधान रही आओर अपना अड़ोस-पड़ोस मे नजरि बनेने राखी. ज' एहि संबंध मे कोनो संदेहास्पद व्यक्ति पर नजरि जाइत अछि वा ककरो पर शक होइत अछि त' कानून अपना हाथ मे नै ल' तुरंत पुलिस कें खबरि दी. तंत्र-मंत्र ओ अंधविश्वासक फेरा स' बचबाक प्रयास करी. 

साभार - मिथिला मेल डेस्क


0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top