संरक्षणक किशोरी लाल रिलिज होबएसँ पहिने हिट
किशोरी लाल


जयन्त ठाकुर ।
मैथिली फिल्मसभ ओतेक बेसी गुणस्तरीय रुपमे नहि बनि रहल समयमे नेपाली फिल्ममे मैथिलीक प्रयोग बढैत जा रहल अछि । एकर सभसँ बडका उदाहरण अछि इएह हप्ता प्रदर्शनमे आबएबला नेपाली फिल्म संरक्षण । फिल्म संरक्षण साउन २७ गतेसँ देश भरिके सिनेमा हलमे लगेबाक तैयारी कएल जा रहल निर्देशक पुरनेन्दु झा जानकारी देलन्हि अछि ।


फिल्ममे मैथिली भाषी कलाकारक बर्चस्वता देखल जा रहल अछि । फिल्ममे रमेश रञ्जन झा, कृष्णा सिंह, श्वेता झा, कामेश्वर चौरसीया, नाजिर हुसैनक दमदार उपस्थिति देखल जा रहल अछि । फिल्मक ट्रेलर सभक मोन मस्तिष्कपर छाएल अछि । फिल्मक ट्रेलर देख कऽ मैथिली भाषी कलाकारसभक अभिनय बेजोड रहल लागि रहल अछि ।

ओना फिल्म संरक्षणक २ टा गीत तहल्का मचा रहल कहल जाए तऽ अतिशयोक्ति नहि हएत । ओ दुनू गीतके मैथिलीक चासनीमे डुबाओल गेल अछि । किशोरी लाल बोलक आइटम गीत आ होरीक गीत सभसँ बेसी हिट कऽ रहल निर्देशक झाके कहव छन्हि । किशोरी लाल बोलक आइटम गीत रोशन जनकपुरी लिखने छथि तऽ होरीक गीत धीरेन्द्र प्रेमर्षी लिखने छथि । दुनू गोटे मैथिलीक प्रसिद्ध साहित्यकार छथि ।
तहिना गीतमे संगित प्रवेश मल्लिक देने छथि तऽ रितिका परमेश्वर, प्रवेश मल्लिक आ प्रेम प्रकाश करणके आवाजसँ सुसज्जित अछि । फिल्म संरक्षणक किशोरी लाल आइट संग सभसँ बेसी हिट सावित भऽ रहल अछि । किशोरी लाल गीतके फिल्मक युनिट यु ट्युवमे रखला एक महिनासँ बेसी समय भेल भेल अछि । एहि अवधिमे एक लाख व्यक्ति भ्यु कऽ चुकल अछि । गीतक भिजुअल तथा संगीत उच्च कोटिके रहल अछि ।


ओना नेपाली भाषी कलाकारसभ सेहो स्वीकार करैत छथि जे मैथिली भाषी कलाकारसभक अभिनय उच्च दर्जाके अछि ।
फिल्ममे मधेशक मुद्दाके जोडतोडके संग उत्थान कएल गेल अछि । ईहो कारण अछि ई फिल्म देशक सभ भूभागमे बेसी ख्याती पाबि रहल अछि । फिल्मक ट्रेलरके सेहो दर्शकसभ हातोहात लेलन्हि अछि ।
ओना एहिसभसँ अलग ई दूटा गीत ओहुसँ बेसी चर्चा पाबि रहल अछि ।
फिल्म संरक्षणके देशभरि प्रदर्शनमे आनएके तैयारी कएल जा रहल अछि । निर्माता निर्देशक सभ मैथिली भाषीसभके ध्यानमे राखि कऽ जनकपुरमे सेहो ओही सिनेमा


हलमे प्रदर्शनमे आनएके तैयार कएने बतौलन्हि । मुदा ओही हप्ता अक्षय कुमार अभिनित ट्वाइलेट नामक फिल्म रिलिज होबए लगलासँ सिनेमा हलबला सभ आर्थिक घाटा लागत से बातसँ सेहो डरा रहल देखबामे आबि रहल अछि । एहनमे संरक्षण जनकपुरक हलसभमे प्रदर्शनमे आओत वा नहि से कहि पाएब अखन कठीन अछि । एहि बातपरसँ पर्दा ओही दिन उठत ।

साभार - dudhmati.com

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top