सिरहाके बन्दीपुरमें रहल बाबाताल पर्यटकीय आकर्षणके केन्द्र बनल


अपन मिथिला, साउन ,२६ / सिरहाके कर्जन्हा गाउँपालिका–१ बन्दीपुरस्थित बाबाताल पर्यटकके लेल आकर्षणके केन्द्र बनल अछि ।

पूर्वपश्चिम राजमार्गस्थित बन्दीपुर बजार से करिब एक किलोमिटर उत्तरमें रहल बाबाताल  के साथ मे रहल वन, वनभोजस्थल, शिव मन्दिर आ उद्यानके कारण पर्यटकके आकर्षणके केन्द्र बनल जारहल अछि । बाबाताल आ ओतके मनमोहक दृश्य अवलोकनके लेल अखुन दिनके एक सौ से एक सौ ५० गोटे पर्यटक आरहल  ताल संरक्षण संवद्र्धन समितिके केशव पोखरेल बतौलक ।

चुरे क्षेत्र नजदीक रहल उ तालके देखै के लेल गर्मी मौसम से बेसी जाड़ के मौसममें बेसी पर्यटक आबै छै से जानकारी देलक । उदयपुरके बेलसोथस्थित नेपाली सेनाके राष्ट्र विकास गण वनभोज स्थल, शिव मन्दिर, बालउद्यानदगायत पूर्वाधार निर्माण केने अछि ।  अखुन उ पर्यटकीय क्षेत्रके रुपमें विकास भरल अछि  बाबाताल क्षेत्र अवलोकनके लेल बहुत जिल्लासभ से विद्यार्थी अभ आरहल  पोखरेल जी कहलक ।

“ओर समय से बेसी नयाँ वर्ष आ पाबैन के समय मे पर्यटकके भीर लगेल रहितय अछि,” उ हलक । अखुन ताल रहल क्षेत्रमें नेपाली, मैथिली आ भोजपुरी फ़िल्म सभ के शूटिंग सेहो हुवा लागल अछि। ताल घुमैंके लेल एल पर्यटक से बाबाताल संरक्षण समिति  प्रवेश शुल्क रु १० आ तालमें आधा घण्टा जलयात्रा करलक तब रु १५ शुल्क उठा रहल अछि  । बाबातालउपर पर्यटकके थप आकर्षण बढ़ाब के लेल गाछ,के साथ बालउद्यान बनारहल अछि। एत भ्यूटावरके (देखै वाला टावर)  सेहो बैन रहल  ताल संरक्षण संवद्र्धन समितिके अध्यक्ष अञ्जनी दाहाल जानकारी देलक।

“भ्यू टावर तयार भलाके बादः पर्यटकके संख्यामें बढ़त ,” उ कहलक । करिब सात हेक्टर क्षेत्रफलमें रहल ई ताल घुम आबैवाल पर्यटकके सुविधाके ध्यानमें राखि धर्मशाला सेहो तयार भरल रहल अछि । ताल क्षेत्रमें स्थानीयवासीसभ होमस्टे (घरबास) सञ्चालन करै के तयारी करहल अछि । बाह्य पर्यटक लबैके लेल राजमार्गसे ताल तक रोड के पिच करै के आ केबुलकार चलबै के योजना ताल संरक्षण समितिके रहल अछि।

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top