नदीमें हराएल डोमीकेँ लाश अखुन तक नै भेटल: खोजी जारी (देखि छबि में)
सप्तरी

राजविराज, २६ साउन । सप्तरीके राजविराज नगरपालिका–१५ स्थित देउरीभरुवाके खाँडो खोला कटान भरहल तटबन्ध रोकै के समयमें बेरस्पितदिन दुपहरके माइट सँ झपा के एक गोटे बेपत्ता भेल अछि।
खाँडो नदीमें एल बाइढ सs तटबन्ध कटान भरहल अवस्थामें रोकै क्रममें स्थानीय ६० वर्षीय डोमी यादव धसान में पड़ी बेपत्ता भेल छेल । देउरीभरुवामें बाँध कटान हुवलगल तब रोकै के  प्रयासमें नेपाली सेनासँगै लागल उ करिब १२.३० बजेके समयमें खोलके माईट से  झपा के वेपत्ता भेल छेल आ लाश नै भेटल अछि ।

स्थानीयवासिन्दासभ के कथन अछि नेपाली सेनाके टोलीके आगु में यादवके माईट से झपा गेल तैयो उद्धारके लेल प्रयास नै केलक कहैत गुषा केने अछि । तटबन्ध कटान रोकै के समय मे सेनाके साथ मे जरूरी उद्धार सामन सेहो नै रहल कारण उ बचाब नसकल  प्रत्यक्षदर्शीसभ जानकारी देने अछि।
और राजविराज नगरपालिकाके वडा नम्वर–१०, विरौल गाउँ नजिक बाइढ से बाँध दुटला सs डुमरी, शिबथान, देउरी भरुवाके बस्तीमें पाइन घूसै के खतरा बढल अछि । वितल दु दिन'क वर्षासे  नदीमें एल बाइढ से ठाम ठाममें बाँध कटान हुवा लागल अछि।
बाइढ प्रभावित क्षेत्रके स्थल देखै के लेल  सप्तरीके प्रमुख जिल्ला अधिकारी कृष्णबहादुर कटुवालके साथ नेपाली सेना, सशस्त्र प्रहरी आ नेपाल प्रहरीके प्रमुखसभ देउरीभरुवा पुगल अछि ।




वेपत्ता भेल व्यक्तिसभ के खोज भरहल आ कटान रोकै कलेल सेहो पहल भरहल प्रमुख जिल्ला अधिकारी कट्वाल बतौने अछि । सुनसरीके ईटहरी से एल सशस्त्र प्रहरीके टोली वेपत्ता भेल ठाम में  अबेर साँझतक डुङ्गासहित गोताखोरके टोली से खोजी काज जारी राखलक तैयो  नै भेटल लाश ।


 छबिसभ:-  श्यामसुन्दर यादव/राजविराज

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top