बाइढमें गाड़ी दहाकेँ गर्भवतीसहित ६ गोटेकेँ मौत


अपन मिथिला/ २९ साउन, रौतहट । भारी वर्षाकेँ कारण पानि से भरल रौतहटमें गाड़ी डूबिके गर्भवतीसहित ६ गोटेकेँ मौत भेल अछि ।

प्रसुतीके लेल लौकाहासे राजपुर अस्पतालमें जारहल जीप बाइढ रोड़ कटान केने से जानकारी नै भेला से  गाड़ी डुबल छेल । राजपुर अस्पताल से सय मिटर दूरी में भोर के ३ बजे करीब भारतीय नम्बरके जीप डुबला से गर्भवती महिलासहित ६ गोटे के मौत भेल  प्रहरी उपरिक्षक यज्ञ विनोद पोखरेल जानकारी करौने अछि ।

मौत भेल चारगो पुरुष आ दूटा नारी अछि । जीपके चालक आ एक आदमीके ज्यान बचाबै में सफल भेल स्थानीय आरजु आलम बतौलक ।

चार दिन से भेल भारी वर्षाके कारण एल बाइढसे रौतहट पूरा रुपसे डुबानमें परल अछि। २०५० सालमा एल बाइढ से बड़का एहि बेरि बेसी जिल्लाकेसभ गाँउपालिका आ तिनटा नगरपालिका पानि से भरल अछि।

झाँझ, बागमती, लाल बकैया आ चादी नदीमें एल बाइढसे गौर, गरुडा आ चन्द्रपुर नगरपालिका सही डुबानमें परल अछि।

बीतलराति गरुडा सदरमुकाम गौरमें बाइढके पानि घुसल अछि । गौरके मुख्य सडकमें ४ फिटतक पानि भरल अछि आ जिल्ला प्रहरी कार्यालय, सशस्त्र प्रहरीके कार्यालय ई सभ साथ मे प्रहरी युनिट सेहो डुबानमें  परल अछि ।

आधा दर्जन से बेशी ठाम में तटबन्ध टुटला अछि

लालबकैया नदीके बहाव उच्चबिन्दुमें पुगल  करुनिया आ देवाहीसहितके आधा दर्जन ठाम तटबन्ध कटान भेल अछि । गौर चन्द्रनिगाहपुर सडकखण्डके सखुअवामा सेहो बाइढीसे १० मिटर सडक कटान भेल प्रहरी उपरीक्षक पोखरेल जानकारी देने अछि ।

शनिदिन बाँध टुटला से एल बाइढ देवाही वडा नंं ८ के एक घरमें २०० गोटे से बेसी स्थानीयलके अखुनो तक उद्धार नै सकल अछि  ।  सुरक्षित ठाम में  लजाय में  कठिन भेल प्रमुख जिल्ला अधिकारी उद्धवबहादुर थापा जानकारी देने अछि ।

एनी परोहा गाउँपालिका स्थित करुनिया गाउँ नजिक रहल लाल बकैया नदीको पूर्वी बाँध आय टुटला से ओहि आसपास  अवस्था सेहो कष्टकर बनल अछि । गौर गंगापिपरा सड्क खण्डके दुर्गा भगवती गाउँपालिकाके सडक बाइढके कारण बीतल राति से बन्द भेल अछि और मत्सरी, पचरुखी, सरुअठा, गंगापिपरा, भलोहिया, बडहर्वा लगायतके गाउँसभ में बाइढीके पानि से एक सौ से बेसी  घर डुवानमें परल अछि । परोहा गाउँपालिकाके बसन्तपटी, इनरवारी, इशनाथ गाउँपालिकाके बन्जरहा, औरैया, बैरिया, राजपुर, बौधीमाई, गुजरा, माधवनारायण, गढिमाई, वृन्दाबन, विजयपुर, कटहरिया सहित गरुडा नगरपालिकाके सभ वडा, चन्द्रपुर नपाके कुछ वडा सभ क्षेत्र डुवानमें परल अछि । गौर चन्द्रनिगाहपुर आ पूरब पश्चिम राजमार्गमें यातायात पूर्ण रुपमें बाइढके कारण बन्द भेल अछि।

बाइढमें फसल सभ के उद्दार करैके लेल नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरीके नाउ के साथ पौडीबाज टोली जिल्लाके बहुत ठाम पठोने से काफी नै भेल अछि  ।

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top