सिरहाजिल्ला सेहो डुबानमें, बाइढ में फसलके सुरक्षित ठाममें राखिरहल 

अपन मिथिला /सिरहा, साउन २९ – लगातारभरहल  वर्षासे सिरहाके सौसे बेशी घर पानि में डूबल अछि ।  नदी सभ में घुशल पानिसे दर्जन से बेशी गाम सभ डुवानमें पारल अछि । गागनखोलाके पानि घुसला से औरही गाउँपालिकाके दर्जसे बेशी घरसभमें पानि घुशल अछि। खतरा में अवस्थामे रहल १० घर परिवारके सुरक्षित ठाम में लजायके अवस्था एल प्रमुख जिल्ला अधिकारी श्रीकृष्ण श्रेष्ठ जानकारी देने अछि । ओकरा सभ के अब बहुत सुरक्षित ठाममें लजाय के  काम भरहल जानकारी देलक ।  

काल्हि सेयर भेल अपन मिथिला में न्यूज काम केलक आ लहान–१ के मुसहर वस्तीके सेहो सुरक्षित ठाममें लजाय के काम आगु बढ़ल अछि ।  

बेचो खोलामें एल बाइढसे कल्याणपुर नगरपालिके–२ इटारी पर्साहीके ४० घर परिवार घर से बाहर भेल अछि । ओकरा सभ के स्थानीय निमावि विद्यालयमें  राखने अछि ।

डिम्मा खोलामें एल  बाइढसे कर्जन्हा गाउँपालिका–६ गौताडीस्थित जनता आधारभूत विद्यालयके पश्चिमदिशा के कम्पाउण्ड देवाल गिर गेल से गौताडीके पूर्व गाविस अध्यक्ष रामचन्द्र ठाकुर जानकारी देने अछि । पूर्व अध्यक्ष ठाकुरके अनुसार बाइढके पानि स्थानीय पासवान टोलके करीब ३ दर्जन घरमें घुसला आ करीब  ४ फिटतक पानि  जमल से करीब १५ टा घर गिरल अछि ।
पानि घुसला से घर रहैके अवस्थ नै अछि ओहि से उसभ पड़ोसी के  घरमें बस बैसल अछि । पानिसे घरमें रहल  सभ सम्मन भिजैसे के साथ खाना बनाबै के ठाम सेहो नै भेला सs ई सभ समस्यामें परल ठाकुर जी कहलक । बाइढसे रोड सभ सेहो ठाम ठाममें कटान केला से आबै जाबैमें  समस्या भरहल अछि । गाम अखुन सम्मर्कसे बाहर जेका बनल ठाकुर जानकारी देने अछि। 

चार दिनसे निरन्तर रुपमें भरहल पानि  आ पानि गाम घुसला से सिरहाके करीब हजारके संख्यामें घरसभ डुवानमें  परल अछि । धीरे धीरे  पानि  बढीरहल आ बहाब सेहो भरहलासे अखुन तक कोनो मानब क्षति नै भेल प्रमुख जिल्ला अधिकारी श्रेष्ठ जानकारी देंने अछि । सिरहाके लहान गोलबजार, सुखिपुर, मिर्चैया, सिरहा सदरमुकाम आ बजारसभ सेहो डुबानमें परल अछि ।

 जिरोमाइल– बरियारपट्टी सडक बन्द भेल अछि बाइढसे  सुखीपुर नजिक रहल ह्युमपाइप दहेलासे सिरहाके जिचिरोमाइल बरियारपट्टी सडक बन्द भेल अछि ।

भोर से रोड बन्द से उ छेत्र के सर्वसाधारण पूर्वपश्चिम राजमार्गतक पुगिके लेल कठिन भेल अछि



वर्षाके कारण सिरहाके सखुवानन्कारकट्टी गाउँपालिका–४ ल रामवृक्ष यादव, लहान नगरपालिका–२० के पुजेन्द्र यादवम घर पूर्ण क्षति भेल अछि। लहान–१९ छर्रापट्टीके मिश्री सदायके फुस आ बाँसके टाटसे बनल दु टा घर पूर्ण रुपमें क्षति भेल  प्रहरी जकनकारी देने अछि । लहानके जिल्ला ट्राफिक प्रहरी कार्यालयसे पश्चिमदिशा बनल नहरमें पानीके बहाव बढ़ै से लहान–१ में रहल दलित बस्ती डुबान में परल अछि ।




 सिरहा जिल्लाके सदरमुकामस्थित जिल्ला कृषि विकास कार्यालय, जिल्ला पशु सेवा कार्यालय लगायतके कार्यालयसभमें पानि घुसला से  काम काजमें समस्या भेल जिल्ला कृषि विकास कार्यालय जानकारी देने अछि । 
इलाका प्रहरी कार्यालय मिर्चैयामें सेहो बाइढ के पानि घुसल अछि बाइढके पानि से दक्षिणतर्फ़के करबि ३० फिट देबाल टुटला अछि । कार्यालयमें पानि घुसला से कामकाजमें समस्या भेल इलाका प्रहरी कार्यालय मिर्चैयाके प्रमुख डिएसपी गज्जुसिद्धी बर्जाचार्यल जानकारी देने अछि।

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top