सोरह कला प्रवीण प्रखर कुटनीतिज्ञ/ लीलाधर  श्री कृष्णकेँ जन्म दिनक हार्दिक शुभकामना   --



✍👤मैथिल प्रशान्त

हे नटवर गीरीधर गीरीधारी । 
केशव माधव कृष्ण मुरारी ।। 
बाट जोहैथ राधा आठो याम यौ ।
घूरि आउ कान्हा गोकुल धाम यौ ।

सुन जमुना तट, उदास छै गैया ।
बाट जोहै छथि, यशोदा मैया ।।
वृंदावनकेँ कण-कण जपय नाम यौ ।
घूरि आउ कान्हा ----

मन मोहन मोहल मोन अहाँ कोना ।
वंशीक तान मोहक मुस्कीमे टोना ।।
गोपी बिकायल नेने बिनु दाम यौ ।
घूरि आउ कान्हा ---

~> मैथिल प्रशान्त 
   दुर्गौली, बेनीपट्टी ।

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top