तिन दिनसे एक बून्द पानि आ खाना तक नै मिल्ल जलेश्वर जेलकेँ कैदीसभकेँ

अपन मिथिला जलेश्वर  / जलेश्वर जेलमें  बहुत किसिमके मुद्दामें सजाय भोगिरहल कैदी बन्दीसभ बहुत विजोग भेल अछि । जेल भीतरमें रैबदिनसे करिव ६ फिट पानि घुसला सs कैदीसभके समस्यामें परल अछि।


एक सौ पैतिस कैदी राखै सकैकेँ क्षमता रहल जलेश्वर जेलमें अखुन तिन सौ विरासी कैदी रहल ओहि में चालिस नारी कैदी आ दुई आश्रित वालवालिका रहल अछि । रैबदिन पानिकेँ उच्च वहाव आ जेल भीतर में आदमी डुवाब  सकै पानि भेलसे कैदीसभ पानि भित्रै शौचलय(टॉयलेट) करै से बाध्य भेल अछि। हाथकल पानिमें डुवला से नारी आ पुरुष कैदीसभ सेहो वितल तिन दिन से खाना आ पानि विना रहल अछि ।


कैदीसभके अवस्था बुझ जेल पुगल संचारकर्मीसभ उपर खिसियात कैदीसभ अपन अपन दुख देखबैत छेल । कैदीसभ वितक तिन दिनसे खाना आ पानी नै मिलल से भूखे रहलो सखुन तक कोनो निकाय देख सुन सेहो नै एल कैदीसभ अपन  दुख सुना रहल छेल । उ सभ नीचलका घर मे पानि में डुवल से जेल के ऊपर के रूम में आ छतमें वास बैसल अछि।

उ सभ अखुनो खाना पकबै के ठाम नै भेला से केना के खाना आ की खेब से चिन्ता भेल अछि । कैदी वन्दीकेँ अवस्था नीक रहल कहि  संचारमाध्यममें कैदीके राहत मिल्ल् समाचार प्रकाशन करै से  कैदीसभ आपत्ती जनोने अछि ।

यता जेल के कार्यालय आ सुरक्षाकर्मी सुतै वाल  रुम सभ में  पानि भरै से  सुरक्षाकर्मीसभ सेहो खाई के लेल आ रहै के लेल छत सहारा लेने अछि


महोत्तरीमें एल बाढ़ि से अखुन तक एक गोटे के मौत भेल आ एक गोटे हरा रहल अछि । और २ सौ अठार घरमें पूरा क्षति भेल  ४ हजार आदमी के उद्धार केल गेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीके रैबदिन साझ सातबजेतक तथ्यांक अछि ।






0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top