बिहार में सेहो बाढ़ि के कहर ९१ गोटे के मौत, ९६ लाख आदमी प्रभावित

अपन मिथिला ,भदौ १ - भारतके पूर्वी राज्य बिहारमें बाढ़िकेँ कारण कम्तिमे ९१ गोटेकेँ मृत्यु भेल खबैर अछि । बीतल कुछ दिन सs भेल भारी वर्षाके बाद बाढ़ि के कारण मृत्यु भेल अछि  । बाढ़ि से करिब ९६ लाख आदमी प्रभावित भेल, आय नयाँ पत्रिकामें खबैर अछि ।

बिहारके १२ जिल्लामें बाढ़ि से बेदी प्रभाव पारल अछि । बाढ़ि से बिहारके राजधानी नगर पटनामें सेहो बहूत क्षति भेल अछि । पटना आ आसपासके और क्षेत्रमें वर्षा नै रुकला खबैर अछि पानि पड़ैत अछि । बाढ़िसे बिहार के जनता के जनजीवन कष्टकर बनल आ करोडौँ मूल्यबराबरके क्षति भेल अछि ।

बाढ़ि के कारण हजारौँ घरपरिवार घर से बाहर भेल अछि  । घर से बाहर सभके सरकार बहुत ठाम  शिविरमें राखने अछि । बाढ़िमें हराएल आदमी के खोजी भरहल जानकारी अछि  ।



0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top