मधुबनी शहर मे अखन धरि भरल अछि वर्षाक पानि, जल जमाव स' आफत मे पड़ल जन जीवन


अपन मिथिला / भादौ ,२ - लगभग एक सप्ताह स' मधुबनी शहर मे वर्षाक पानि भरल अछि. जल जमाव स' जन जीवन अस्त - व्यस्त भ' गेल अछि. जल निकासीक कोनो व्यवस्था नहि रहला स' लोक पानिक बीच मे जीवन यापन करबा लेल विवश छथि. मधुबनी स' अमलेश कुमार केर रिपोर्ट. 


लगभग सप्ताह दिन स' भरल पानिक ओजह स' लोक सभ कें महामारीक चिंता सता रहल छनि. शहर केर विभिन्न टोल आ मोहल्ला मे जल जमाव स' लोक नारकीय स्थिति मे रहि रहल छथि. शहरक बीएन झा कॉलोनी, आदर्श नगर कॉलोनी, चकदह चौक, न्यू चकदह, विद्यापति नगर, नंद नगर, चकदह दास टोल मे लोकक घर द्वार मे वर्षा आ नालीक पानि घुसल अछि. जल निकासीक कोनो व्यवस्था नहि हेबाक ओजह स' लोक पानिक बीच मे रहबाक लेल मजबूर छथि. जल जमावक ओजह स' लोकक घर द्वार मे सांप कीड़ा वास क' लेने अछि. संगहि जगह - जगह जमल पानि स' सड़ांध आबि रहल अछि जे महामारीक आशंका उत्पन्न क' रहल अछि. लोक सभ भय केर माहौल मे जीबा लेल विवश छथि. स्थानीय लोक सभ शीघ्र जल निकासीक व्यवस्था करबाक मांग केलनि अछि. 

साभार - मिथिला मेल डेस्क. 

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top