अंतिम संस्कारक लेल नहि भेट रहल अछि जगह, अररिया मे नदी मे फेकल जा रहल अछि शव


आप मिथिला / भादौ २- बाढ़ि प्रभावित क्षेत्र अररिया मे अंतिम संस्कारक लेल सहो जगह नहि भेट रहल अछि. चारू कात पानि भरल रहबाक ओजह स' पुलिस द्वारा जोगबनीक मीरगंज पुल स नदी मे फेकल जा रहल अछि. अररिया स' रितुराज केर रिपोर्ट.


बताओल जा रहल अछि जे ई सभ पुलिसक उपस्थिति मे कएल जा रहल अछि. मुदा पुलिस पूरा मामला स' अनभिज्ञता प्रकट क' रहल अछि. जोगबनी डीएसपी अजित कुमार सिंह
कहलनि जे शव कें नदी मे फेकबाक प्रश्न नहि उठैत अछि. मुदा ई मामला अखन सुर्खी मे अछि आ चारू कात ऐ कें लेल पुलिसक प्रति लोक थू-थू क' रहल अछि. जोगबनी मे अखन धरि 20 टा शव बरामद कएल गेल अछि. जाहि मे स' 13 व्यक्तिक पहिचान कएल गेल अछि. पांच टा शव नेपाली नागरिकक सेहो बरामद कएल गेल अछि जे बाढ़ि मे भंसिया क' एमहर आबि गेल छल. शव कें नेपाली प्रशासन कें सौंप देल गेल अछि.
दरभंगा मे सेहो चारू कात पानि भरि गेला स अंतिम संस्कार करबा मे परेशानी आबि रहल अछि. अंतिम संस्कारक लेल जगह नहि भेटलाक ओजह स' एनएच 57 पर शव केर
अंतिम संस्कार करबाक मामला सेहो प्रकाश मे आएल अछि.



अररिया आ किशनगंज मे अखनहुं फंसल अछि लोक

अररयिा आ किशनगंज मे बाढ़ि स' हालति नारकीय भ' गेल अछि. बाढ़िक पानि हालांकि घटब शुरू भेल अछि मुदा अखनो बहुत रास लोक सुदूर क्षेत्र मे फंसल छथि जिनका सभ लग अखन धरि कोनो तरहक राहत नहि पहुंच सकल अछि. बताओल जा रहल अछि जे रामपुर, कोशकीपुर, डम्हैली, बांसबांड़ी, मदनपुर, धोकरिया, बंहगी, भोजपुर, कसैला, तरौना, काचमोह आदि गाम अखन धरि बाढ़िक पानि स' घेराएल अछि. लोक सभ अपन घरक छत वा स्कूल मे शरण लेने छथि. लोक सभ कें भोजन आ पानि कें दिक्कत भ' रहल छै मुदा प्रशासनक मदति हिनका सभ लग अखन धरि नहि पहुंच सकल अछि.

साभार Mithila Mail मिथिला मेल डेस्क. 

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top