नेपालमें प्रदेश आ संघीय चुनाव अगहन १० गते


अपन मिथिला / भादौ ५ : नेपाल सरकार प्रदेश आ संघीय चुनाव एक दिन करैत डेट घोषणा केने अछि ।  

आय भोर में  बैसल मन्त्रिपरिषदके बैठकसे आबै वाल अगहन  १० गतेके लेल चुनावके  डेट घोषणा केने अछि।

एहि से पहिले प्रमुख तीन दल नेपाली कांग्रेस, नेकपा एमाले आ एमाओवादी केन्द्रका शीर्ष नेतासभ के  बैठकसे दुनू चुनाव एक बेरि में करै के निर्णय केने छेल ।

निर्वाचन आयोग दुनु चुनाव एक बेरि करै लेल मुश्किल हेत कहैत सरकारके ध्यानाकर्षण करबैत आबैत छेल । आयोग सरकारके प्रदेश चुनाव अगहन ४ गते आ संघीय चुनाव अगहन २१ गते करै के लेल निर्वाचन डेट सिफारिस सेहो केने छेल ।

मुदा,सरकार दुनु चुनाव एक बेरि में करपरत से  जोड दैत आरहल छेल आ आय डेट के निर्णय सेहो केने अछि ।

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top