नेपालकेँ प्रधानमन्त्री देउवा दिल्लीमें इण्डियाकेँ विदेशमन्त्रीद्वारा स्वागत 

 अपन मिथिला/ भादौ ७ - । नेपालके प्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवाके भारतीय विदेशमन्त्री सुष्मा स्वराज स्वागत केने अछि । नयाँ दिल्लीस्थित विमानस्थल पुगल प्रधानमन्त्री देउवाके स्वराज स्वागत केने छेल। पहिलेके प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीके राज्यमन्त्री स्वागत करने कहैत नेपालमें विरोध भेल छेल ।

प्रधानमन्त्री देउवाके नयाँ दिल्लीस्थित इन्दिरा गान्धी अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलमें भारतीय विदेशमन्त्री स्वराज स्वागत केने छेल। प्रधानमन्त्री बंनल पहिल बेरि औपचारिक भ्रमणके लेल प्रधानमन्त्री देउवा ४८ गोटे सम्मिल टोलीके नेतृत्व करैत भारत गेल अछि । पाँच दिन के लेल गेल इण्डिया  प्रधानमन्त्री देउवा भारतीय राष्ट्रपति, उपराष्ट्रपति, प्रधानमन्त्री लगायतसँग उच्चस्तरीय भेटघाट करै के कार्यक्रम अछि ।

प्रधानमन्त्री देउवा राष्ट्रपतिके राजकीय पाहुनाके रूपमें प्रधानमन्त्री देउवासहित ६ गोटे प्रतिनिधिमण्डल राष्ट्रपति भवनमें रहत । सरकारी भ्रमण दलके बाँकीसभ  ताजमानसिंह होटेलमें रहैके व्यवस्था केने अछि।


0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top