लायन्स क्लवद्वारा लहानकेँ १३८ दलित बाढ़िपिडिसभकेँ  राहत वितरण 


अपन मिथिला / लहान भदौ ७ गते । लहान नगरपालिका वाडा नम्वर ११ , २० आ २१ केँ १३८ दलित बाढ़िपिडितसभकेँ लायन्स क्लव अफ लहान सिटि लहानके १३८ गोटे के ३२ किलो दरसे राहत समान वितरण केने अछि। उ वाडाके वाढीपिडितसभ पहिल बेरि राहत मिलैसे खुसी होइत कहलक खाय के लेल सहयोत तs भेल अब घर बनाबके लेल वाँसके सहयोग जुटा दियो कहैत  माँग केने छेल। ३२ किलो  राहत समान में १२ किलो चाउर , २ किलो दाइल , २ किलो आटा ,१ कार्टुन च्याउच्याउ , १ लीटर तेल , १ किलो नुन ,५ किलो च्युरा, २ किलो भूजा , १ त्रिपाल आ एक टा साड़ी अछि । राहत पबैत समत लाल पासवान आ शोभा कुमारी सदाय कहलक , खाय के  रुपमें ई संस्था पहिल बेरि हमरासभ के राहत देलक खाना समस्या तत्काल हटल मुदा, घर बनाबके लेल वाँस आ चादरा सहयोग कदेतीय तब बड़ नीक हेत । रातिके साप के बेसी डर रहल अछि टूटल घरमें वालवचासभ के लके  डरा-डरा राइत काट परै के वाध्य रहल अछि । 


अष्ट्रेलियामें चिकित्सक रहल कृष्ण हमाल सहयोग केने पाच् (५ )लाख रुपैया  वरावरके राहत सामन वितरण करैके लेल  लायन्स क्लवके अध्यक्ष विकास शारडा  बजैत कहलाह । लायन्स क्लव ,नेशनल प्यासन आ मिडिया सहयोगी सरगम एफएम राहत वितरण  केने अछि। गाममें राहत बाट गेल  पिडित नै भेल सभ सेहो राहत दिया परत कहैत समस्या खड़ा केने छेल तब प्रहरीले उपलब्ध करौने तथ्यांकके आधारमें लहान स्थित सडक डिभिजन कार्यालयके परिसके रहल लहान नगर प्रहरीके सहयोगमें लायन्सके अध्यक्ष विकास शारडा , उपाध्यक्ष रियासत लिमि ( मुन्ना ) , लायन्स क्लवका जोन चेयर पर्सन चक्रपाणि दाहाल ,कल्बके धरणीधर अधिकारी , अशोक अग्रवाल , विनोद साह ,सुदिप चौधरी ,नेशनल प्यासनके पाण्डव हमाल , आ सरगम एफएमके प्रवन्धक फिरोज शेखले राहत वितरण केने  छेल ।














फोटो -: फिरोज शेख़ 
लहान 

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top