निर्वाचन क्षेत्र निर्धारण आयोगकेँ प्रतिवेदन सँ चित्त नै बुझ्ल : उपप्रधानमन्त्री गच्छदार'



अशोक कुमार सहनी,अपन मिथिला/भादौ १७, सप्तरी । उपप्रधान एवं स्थानीय विकास मन्त्री विजय कुमार गच्छदार निर्वाचन क्षेत्र निर्धारण आयोग बनोँने नयाँ निर्वाचन क्षेत्रऊपर चित्त नै बुझल बतौने अछि ।  क्षेत्र निर्धारण करै समय आयोगके पदाधिकारीस्वग हमरासभ सँग कोनो सरसल्लाह नै केलक से उल्हना देने अछि।


शनिदिन राजविराजमें पत्रकार सम्मेलन कके उपप्रधानमन्त्री गच्छदार तराई/मधेसके जिल्लामें पाँच टा तक  क्षेत्र कम केने कहैत ई बिषयमें हम सभ जोडदार रुपमें आवाज उठायब से कहलक ।

‘निर्वाचन क्षेत्र निर्धारण आयोग क्षेत्र बनबै बेरी में हमरा सभ सङ्गे सरसल्लाह, छलफल नै केने अछि,’ उ कहलक, ‘आयोगके प्रतिवेदनऊपर हमरासभके चित्त नै बुझल अछि ।’

संविधानके मर्म आ भावना विपरीत जातिय क्लस्टरके तौइड़ निर्वाचन क्षेत्र निर्धारण केने ओकर कथन छेल ।

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top