साप बिच्छीकेँ त्रासमें त्रिपालमें राति काटैलेल बाध्य अछि सिरहाके आगलागीपीडितसभ

 अपन मिथिला, भदौ १७, २०७४ लहान : करिब साढे ४ महिना पहिले भेल भीषण आगलागीमें पूरा बस्ती जैल के सखाप भेल छेल स्थानीय ३२ घर परिवार रहल दलितसभ दुख में परल अछि। आगलागीमें घर, अन्नपात, लत्ताकपडा जलै से दुख में परल सिरहाके सखुवा नन्कारकट्टी गाउँपालिका ४ सिम्राहाके दलित समुदाय ३२ घर परिवारके एक सौ १६ गोटे अखिन को त्रिपाल आ टिनके नीचा रही गुजारा करहल अछि 



‘बहुत गर्मी, वर्षा,में बालबच्चा बचाब मुस्किल परल अछि’ स्थानीय गीतादेवी मण्डल कहलखिन ‘खेत साइड में त्रिपाल नीचा बेटा बेटीसहित राति कटैके लेल, साँप बिच्छीके डर त्रास राति बिताबै छी।’ हुनके जेहेन अवस्था भोगिरहल छिमेकी राजवती मण्डल कहलखिन ‘सरकार बनादेब कहने घर सेहो डिपिसीतक मात्र काम भेल अछि, वर्षात् नै बीतल अछि, तखलीफ में  रहै छी।’ बस्तीमें आगलागीमें परेकामध्ये २५ घर परिवारके आगलागी पीडितसभ अखिनो त्रिपाल नीच गुजारा करहल सखुवा नन्कारकट्टीके पूर्वगाविस अध्यक्ष तथा समाजसेवी खुशीलाल मण्डल कहलक। 


पीडितसभके सिरक आ जाजिम आगलागीके चपेटामें परल बस्तीके दलितसभके शुक्रदिन गाउँमै एक÷एक थान सिरक आ जाजिम देने छेल। सिरहाके  बहुत ठाममें खाडी मुलुक बहराईनमें काम करहलसभ संस्था ‘मिथिला सेवा समाज, बहराईन’ के आर्थिक सहयोगअन्तर्गत भवानी एकीकृत विकास केन्द्र, धनगढीमाई नगरपालिका २ भवानीपुर ३२ घर अग्नि पीडितसभके सिरक आ जाजिम  वितरण केने छेल। अग्नि पीडितसभके केन्द्रके अध्यक्ष दिपेशकुमार चौधरी, सचिव रामबहादुर चौधरी, अनुगमन तथा मूल्याङ्कन समितिके संयोजक राजलाल गुप्ता, वडा सचिव मो. हविव, समाजसेवी खुशीलाल यादव, प्रहरी हवल्दार कमलेशकुमार यादव लगायतईसभ गोटे सामग्री वितरण केने छेल। एहि वर्ष घर बनैके आश्वासन  अग्नि पीडितसभके लेल जिल्ला दैवी प्रकोप उद्धार समिति सिरहाके पहलमें सहरी विकास तथा भवन निर्माण डिभिजन कार्यालय सप्तरी सिम्राहामें ‘जनता आवास’ कार्यक्रम अन्तर्गत  २९ घर परिवारके लेल घर निर्माण करहल अछि। डिभिजन कार्यालयके साइट सहायक इञ्जिनियर रन्द्रि यादवके अनुसार आगलागीबाद प्रकृया अनुसार कामके सुरुवात बीतल आर्थिक वर्षमें डिपिसीतक के काम मात्र भेल जानकारी देलक। हुनका अनुसार चालु आवमें क्रमागत बजेटअन्तर्गत आगलागी पीडित बस्तीके २९ टा घर बैन के तयार हेत। सभ घर परिवारके लेल टॉयलेटसहित के दु लाख १५ हजार दु सौ ३७ रुपैयाँके लागतमें घर बनत।


 बीतल चैत २८ गते साँझ बस्तीकी एक औरत खाना पकाके घर'क बारीमें फेकने छाउर में रहल आगि उइर के आगालागी भेल पूरा बस्ती  जैर के सखाप भेल छेल। इलाका प्रहरी कार्यालय महेशबारीके अनुसार आगलागीमें करिब डेढ करोड रुपैयाँ बराबरके क्षति भेल छेल। आगलागीमें तीन टा गाई, पाँच टा खसी पाठी आ एक टा बाच्छा जैल के मरल छेल ।

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top