मैथिली साहित्य महासभा (मैसाम) केर "मैसाम युवा सम्मान 2017" के लेल चुनल गेलीह कवयित्री श्रीमती कामिनी चौधरी !




मैथिली साहित्य महासभा (मैसाम) केर "मैसाम युवा सम्मान 2017" के लेल चुनल गेलीह कवयित्री श्रीमती कामिनी चौधरी !
मैसाम अध्यक्ष श्री अमरनाथ झा एहि प्रतिष्ठित पुरस्कार के घोषणा केलन्हि।
मैथिली साहित्य महासभा दिल्ली द्वारा प्रति वर्ष 40 बरख स' कम उम्र वर्गक मैथिल लेखक/लेखिका कें प्रदान कयल जाय वाला मैसाम युवा सम्मान 2017 के लेल निर्धारित तीन गोटक  निर्णायक मण्डल द्वारा प्राप्त स्कोर प्रतिशत केर आधार पर कामिनी चौधरी रचित कविता संग्रह 'खण्ड-खण्ड मे बँटैत स्त्री' कें विजेता घोषित कायल जा रहल अछि।


ई सम्मान 10 सितम्बर 2017 क' दिल्ली मे आयोजित तृतीय विद्यापति स्मृति एकल व्याख्यानमाला सह मैसाम युवा सम्मान समारोह मे प्रदान कयल जायत। पुरस्कार के अन्तर्गत 25'000 टाका के नगद पुरस्कार आ प्रशस्ति पत्र देल जायत अछि ।
मैसाम युवा सम्मान केर शुभारंभ पछिला वर्ष 2016 स' भेल अछि जाहि केर विजेता छलाह 'श्री चंदन कुमार झा' जिनका हुनक कृति 'गामक सीमान पर' के लेल ई सम्मान देल गेल छल।

विदित हो जे मातृभाषा मैथिली आ मैथिली साहित्य के प्रोन्नतिशील बनयबाक उद्देश्य स' किछु उत्साही नवयुवक द्वारा 2015 केर अंतरराष्ट्रीय मातृभाषा दिवस पर बनाओल गेल मैथिली सहित्य महासभा वर्ष मे तीन गोट विशुद्ध साहित्यिक कार्यक्रम केर आयोजन करैत अछि जाहि मे 21 फरवरी अंतरराष्ट्रीय मातृभाषा दिवस पर प्रत्येक वर्ष संस्थाक स्थापना दिवस एवम् वार्षिक संगोष्ठी, अगस्त -सितम्बर मास मे विद्यापति स्मृति एकल व्याख्यान आ 14 फरवरी क' वसन्तोत्सव: मैथिली युवा कवि सम्मेलन प्रमुख अछि।

स्थापना केर मात्र तीन बरखक अवस्था मे मैसाम (मैथिली साहित्य महासभा) अपन कार्यशैली स' सम्पूर्ण मिथिला मे अपन अलग पहिचान बना चुकल अछि। एहि मञ्च पर एखन धरि अनेको पैघ साहित्यकार सब आबि चुकल छथि जेना, पद्मश्री उषाकिरण खान, श्री महेंद्र मलङ्गिया, श्री रविंद्र नाथ ठाकुर, श्री गंगेश गुंजन, श्रीमती शेफालिका वर्मा, श्री बुद्धिनाथ मिश्र,  श्री देवशंकर नवीन, श्री देवेंद्र देवेश, श्री रामभरोस कापड़ि, श्री पंकज मिश्र, श्री श्याम दरिहरे , श्रीमती कुमकुम झा, श्री धरमजी,  आदि। संगहि कार्यक्रम केर गरिमामय अध्यक्षता हेतु गोवाक वर्तमान राज्यपाल श्रीमती मृदुला सिन्हा, सर्वोच्च न्यायालय केर पूर्व मुख्य न्यायाधीश श्रीमती ज्ञान सुधा मिश्र आदि छथि। 

एहिबेरक कार्यक्रम केर मुख्य वक्ता वरिष्ठ साहित्यकार श्री उदय नारायण सिंह नचिकेता' एवम् अध्यक्षता हेतु भारतीय राजनयिक एवम् पूर्व राज्यपाल अंडमान निकोबार द्वीपसमूह तथा पांडिचेरी डॉ नागेन्द्र नाथ झा केर स्वीकृति आयल अछि।अपने सभ गोटे कार्यक्रम में आमंत्रित छी ।

दिनांक : 10 सितम्बर
समय   : 3:30 बेरूपहर 6:30 बजे धरि ।
स्थान   :डिप्टी स्पीकर हॉल,कॉन्सटीच्यूशन क्लब ,दिल्ली।

श्रीमती कामिनी चौधरी जी के बहुत बहुत शुभकामना आ बधाई ।

सुनीत ठाकुर
महासचिव, मैथिली साहित्य महासभा, दिल्ली

0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top