प्रदेश नं. २ में तालमेलके प्रयास विफल : प्रमुखमें १४ गोटे महिलाकेँ उम्मेदवारी


अशोक कुमार सहनी, अपन मिथिला, भदौ २२ गते/ – प्रदेश नं. २ में आबैवाला आशिन २ गते हुवेवाल स्य तह चुनावके लेल १८ हजार सँ बेसी उम्मेदवारी दर्ता करौने अछि । निर्वाचन आयोगके पहिल  तथ्याँक अनुसार ६ हजार ६ सौ २७ पदके लेल १८ हजार २ सौ गोटे उम्मेदवारी देने अछि । ई सँख्या बढ्त आयोगल जानकारी देने अछि । प्रदेश नं. २ के ८ जिल्लामें १ महानगर, ३ उपमहानगर, ७३ नगरपालिका आ ५९ गाउँपालिका अछि ।

तालमेलके प्रयास विफल भेल:-

स्थानीय तहके तेसर बेरी के चुनावमें एमाले के अकेले रखै के सत्ता समर्थक दलके योजना विफल भेल अछि । एमालेके प्रभाव रहल ठाम में कांग्रेस, माओवादी केन्द्र्र, राजपा, संघीय समाजवादी फोरम आ फोरम लोकतान्त्रिकबिच गठबन्धन बनाबै के प्रयास भेल छेल । मुदा, तीन टा स्थानीय तहमें मात्र तालमेल भेल अछि । औऱ  ठाम दलसभ अपने अपन उम्मेदवार देने अछि । 

कांग्रेस आ माओवादीबिच पहिल आ दोसर बेरीके स्थानीय तह चुनावमें महानगरपालिका आ उपमहानगरपालिकामें सेहो तालमेल भेल छेल  । मुदा, तेसर बेरीके चुनाव हुवेवाल एक महानगर आ तीन उपमहानगर कोनो में  तालमेल नै भेल अछि । 

कांग्रेस आ माओवादीबिच धनुषाके मिथिला नगरपालिका आ बाराके निजगढ नगरपालिकामें तालमेल भेल अछि। दुवै नगरमें कांग्रेस प्रमुख आ माओवादी उपप्रमुख लेने अछि । कांग्रेस आ माओवादीबिचमें १० सँ बेसी   स्थानीय तहमें तालमेल करैके प्रयास भेल मुदा, स्थानीय नेता आ कार्यकर्ताके बिरोधक बाद सफल नै भेल । आ सप्तरीके रुपनी गाउँपालिकामें राजपा आ संघीय समाजवादी फोरमबिच तालमेल भेल अछि।

१४ स्थानीय तहके प्रमुखमें महिलाके उम्मेदवारी:- 

प्रदेश नं. २ के १३६ स्थानीय तहमध्ये १४ तहके प्रमुखमें महिलाके उम्मेदवारी परल अछि । धनुषा उपमहानगर सहित ५ नगरपालिकामें प्रमुखमें महिला उम्मेदवारी देने अछि। सप्तरीमें ३, सिरहामें २ आ सर्लाही, रौतहट आ बारा जिल्लामें एक एक तहके प्रमुखमें महिला उम्मेदवारी देने अछि।

एक मात्र महानगरपालिकामें उम्मेदवार के ? :-

प्रदेश नं। २ के स्थानीय तहमध्ये वीरगंज एक टा मात्रै महानगरपालिका अछि।  ओहिसे ई  चुनावके सभ दलसभ प्रतिष्ठाके विषय बनोँन अछि। महानगरपालिकामें अपने जितब दावी करैत दलसभ उम्मेदवार उठौने अछि । वीरगंजमें मुख्य ६ पार्टी सँ के के उम्मेदवार अछि देखु 👇

नेपाली कांग्रेस

मेयर – अजयकुमार द्धिवेदी
उपमेयर – शान्ति कार्की

एमाले

मेयर – बसरुद्दिन अन्सारी
उपमेयर – सोफिया आचार्य

माओवादी केन्द्र

मेयर – रहबर अन्सारी
उपमेयर – दुर्गा केसी

राजपा 

मेयर -  राजेशमान सिंह
उपमेयर – रम्भादेवी मिश्र

फोरम लोकतान्त्रिक

मेयर – बिमल श्रीवास्तव
उपमेयर – रिंकु यादव

संघीय समाजवादी फोरम

मेयर – विजय सरावगी
उपमेयर – पिंकी यादव

तीन टा उपमहानगरमें उम्मेदवार के के :- 👇

 प्रदेश नं. २ में तीन टा उपमहानगरपालिका अछि । बारा जिल्लामें २ टा आ धनुषा जिल्लामें १ टा । वीरगंज महानगरपालिका बाद सभ दल तीन टा उपमहानगरपालिकाके प्राथमिकता देने अछि । 

तीनु टा उपमहानगरपालिकामें मुख्य दलसभ केकरा केकरा उम्मेदवार बनोँने अछि 👇

कलैया उपमहानगरपालिकामें👇

कांग्रेस 

मेयर – राजेश राय यादव,
 उपमेयर – रहिमा खातुनद 

नेकपा एमाले 

मेयर –विनोद साह
उपमेयर – प्रतिमा कुमारी यादव

नेकपा माओवादी केन्द्र

मेयर – मुकेश साह
उपमेयर – नेजमा खातुन

संघीय समाजवादी फोरम नेपाल

मेयर – प्रमोदप्रसाद गुप्ता
उपमेयर – गायत्रीदेवी पटेल

राष्ट्रिय जनता पार्टी 

मेयर – जयप्रकाशप्रसाद साह
उपमेयरमा पिंकी यादव 

फोरम लोकतान्त्रिक 

मेयर – महम्मद शानी ठकुराई
उपमेयर – ललिता कुमारी साह

जितपुर सिमरा उपमहानगरपालिकामें👇

नेपाली कांग्रेस

मेयर – कृष्णव्रत सिंह
उपमेयर – नारायणी रायमाझी

नेकपा एमाले

मेयर – कृष्ण पौडेल
उपमेयर – सरस्वती चौधरी

नेकपा माओवादी केन्द्र

मेयर – राजन पौडेल
उपमेयर – गायत्री देवी चौधरी

फोरम लोकतान्त्रिक

मेयर – राजकुमार चौधरी
उपमेयर – विमला बस्नेत

राजपा

मेयर – अखिल सिंह
उपमेयर – चन्द्रकला चौधरी

जनकपुर उपमहानगरपालिकामें 👇

नेपाली कांग्रेस 

मेयर – मनोज साह
 उपमेयर – निलम कर्ण

नेकपा एमाले 

मेयर – लक्ष्मीनारायण भगत 
उपमेयर – पुनम मिश्र

नेकपा माओवादी केन्द्र

मेयर – चन्द्रशेखर साह 
उपमेयर – अम्बिका यादव

संघीय समाजवादी फोरम नेपाल

मेयर – विष्णुदेव साह
 उपमेयर – रीता यादव 

राजपा नेपाल

मेयर – लालकिशोर साह 
उपमेयर – रीता झा 

फोरम लोकतान्त्रिक

मेयर – हंशराज साह

नयाँ शक्ति नेपाल

मेयर – उमेश साह
 उपमेयर – गीतादेवी साह

#अपन_मिथिला



0 टिप्पणियाँ Blogger 0 Facebook

 
Apanmithilaa.com © 2016.All Rights Reserved.

Founder: Ashok Kumar Sahani

Top